27/11/2025
बिहार में बंद चीनी मिल पर ताजा अपडेट — मैथिली न्यूज़
बिहार सरकार बंद परल चीनी मिल सभक पुनर्जागरण लेल ठोस कदम उठा रहल अछि। हालहि मुख्यमंत्री नीतीश कुमारक अध्यक्षता में भेल कैबिनेट बैठक में निर्णय लेल गेल जे राज्यक 9 पुराना बंद चीनी मिल फेर सन्चालन में आओत, संगहि कुल 25 स्थान पर चीनी उद्योगक विकास होएत। ई निर्णय गन्ना किसान, मजदूर आ ग्रामीण अर्थव्यवस्था लेल एकटा बड़का राहत कहल जा रहल अछि।
जे बंद मिल सभ फेर खुलबाक प्रक्रिया में शामिल अछि—
समस्तीपुर चीनी मिल (समस्तीपुर)
सकरी आ रैयाम (दरभंगा)
मोतीपुर चीनी मिल (मुजफ्फरपुर)
मढ़ौरा चीनी मिल (सारण)
बारा चकिया, चनपटिया (चंपारण क्षेत्र)
सासामूसा सुगर वर्क्स (गोपालगंज)
सरकार एकटा उच्च स्तरीय समिति सेहो गठित कएने अछि, जाहिक अध्यक्षता मुख्य सचिव करताह। ई समिति जमीन संबंधी विवाद, निवेश, आधुनिक मशीनरी आ संचालन मॉडलक तैयारी पूरा करत। मिल सभक चालू होए सँ किसानक आय बढ़त, रोजगारक मौका पैदा होएत आ स्थानीय अर्थव्यवस्था में नवा जान आयत।
बिहार में एक समय 28 सँ बेसी चीनी मिल सक्रिय रहल, मुदा आर्थिक संकट, प्रबंधन कमजोर पड़ल आ तकनीकी कमीक कारण कई मिल धीरे-धीरे बंद भेल। ओकरा कारण गन्ना किसान सीधा प्रभावित भेल छलाह।
सरकारक ई निर्णय सँ उम्मीद जताओल जा रहल अछि जे प्रदेशक गन्ना उद्योग आ ग्रामीण विकासक गति फेर मजबूत होएत।