Dhua Dhaja

Dhua Dhaja Contact information, map and directions, contact form, opening hours, services, ratings, photos, videos and announcements from Dhua Dhaja, Magazine, .

सम्पादकीय

नव क्रमांक शुभ–शुभ शुभे रहए


अपन मैथिली बालसंसारमे सेहो बाल–बच्चाके हर्ष–आनन्दकेलेल अद्भूत अनुपम आ अनमोल बालगीतसब सहज नैसर्गिक रुपमे, पारम्पारिक सामाजिक–सांस्कृतिक विरासतक रुपमे, घनेरो उपलव्ध अछि । बाल जीवनमे बालगीतक नैसर्गिक आनन्दक मनभावन मनोरंजक भण्डार अछि, ततबे नहि, अपन समाजक सभ वर्गक बाल–बालिकाके लेल प्रसस्त बाल लोकसाहित्य, बालसाहित्य, बालखेल आ प्रत्येक बालखेलक ओ

कर अपन बालखेलगीत सब अछि । बाल आनन्द–मनोरंजनक लेल बालगीतक संगहि खिस्सा–पेहानीक रसगर भण्डारक सेहो भरमार अछि । धूआधजा पत्रिका मैथिली भाषा–साहित्य कला–संस्कृति प्रति दरेगी सरोकारी भूमिकामे त’ रहबे कएल अछि, बालसमाज ओ बालसाहित्य प्रति सेहो संवेगीत मुदा रचनात्मक रुपस’ संचारित रहल अछि ।
मैथिली बालगीत–बाललोकगीत ओ बालगीतक रुप प्रचलित अछि । बालगीत जे असलमे आधुनिक बालगीत अछि ओकरो दू स्वरुप अछि– (क) शिशुगीत (ख) बालगीत । अहिमे पहिने शिशुगीत–निनियां, घुघुआ, पलङागीत, तान तरेगन, अट्टापट्टा आदिक संगहि आढांई तीन वर्षस’ उपरके बच्चाके लेल विभिन्न खेलगीत ‘राइम्स’ आदि उपलब्ध अछि ओ सव एहि क्रममे ऐहिमे छपल अछि ।
विश्व बाल समाज— विश्वास, जनकपुरधाम सेहो बालसंसारके क्षेत्रमे क्रियात्मक रचनात्मक भूमिकामे सृजनशील भावे, रागे सक्रिय रहल अछि । बालपनक नैसर्गिक संरक्षण–संवद्र्घनक संगहि बालखेल ओ खेल–आनन्द, शिक्षा–दिक्षा, ज्ञान–मनोरंजन, आदर्श चरित्र–निमांण ओ व्यक्तित्व विकासक आधारभूत पृष्ठभूमि तैयार कर’मे प्राणपनस’, अपन लक्ष्य ओ योजना सहित, निमनस’ आवेगीत रहन,े धूआधजा संग सहकार्य कए, एकर नव क्रमांकक प्रथम अंक बालगीत अंक ओ दोसर अंक खिस्सा–पेहानी अंकक रुपमे, बालसंसार ओ बालसाहित्यके ध्यानमे राखि, प्रकाशित कए रहल अछि ।
ध्यातव्य अछि जे विगत ६ वर्षस’ नियमित अनियमित साप्ताहिक रुपमे प्रकाशित होइत आबि धूआधजा मैथिली मासिकके रुपमे, नव क्रमांकक प्रथम अंकस’ प्रकाशित भ’ अपनेक हाथमे अछि आ अपने लोकनिसन सुहृदय सहयोगी, शुभेच्छु पाठक, सृजनशील रचनाकार
लोकनिक भावात्मक आत्मिक सहयोग पूर्ववत् भेटिते रहतैक, से पूर्ण आशा ओ दृढ़ विश्वास अछि ।

17/10/2024

तत्ववाेध

'अाचार' शब्दक अर्थ देवगुरु वृहस्पतिके अनुसार व्यवहारक अर्थमे प्रयुक्त भेल अछि, जकर व्युत्पति वि+ अब+ हार स' हाेइत अछि । यथा --
वि = विविध
अब= सन्देह
हार = हरण
व्यवहार अाे कर्म थिक जेकराद्वारा नाना प्रकारक सन्देह दूर कएल जाइत अछि ।
उत्तम अाचार सदाचार हाेइत अछि ! एहि सम्बन्धमे महर्षि व्यासक उक्ति छन्हि--
-- ' अचाराे प्रथमाे धर्म: '।
अाचारके प्रथम धर्म मानल गेल अछि ।

21/01/2024

बालसाहित्यक अध्ययन अनुसन्धानक क्रममे हम हिन्दीक बहुते बालगीतसबके अनुवाद कएने रहिऐ । ओहिमेस' किछु अनुवादित हिन्दी बालगीत एतए प्रस्तुत अछि--

गीत
-- श्रीप्रसाद
हल्लम हल्लम हौदा, हाथी चल्लम चल्लम ।
हम बैठल हाथीपर, हाथी हल्लम हल्लम ।
नम्हर नम्हर सूंढ, फटाफट फट्टर फट्टर ।
नम्मा नम्मा दांत, खटाखट खट्टर खट्टर ।
भरिगर भरागर सूंढ, झमकैत झम्मम झम्मम
हल्लम हल्लम हौदा, हाथी चल्लम चल्लम
पर्वत जैसन देह, थुलथुल थल्लम थल्लम ।
हल्लर हल्लर देह हिले, जॅ हाथी चल्लम।
खंम्हा जैसन पयर, थपाथप पडिते धम्मम ।
हल्लम हल्लम हौदा हाथी चल्लम चल्लम।
हाथी सनके नहि सवारी, अग्गड बग्गड
महुथवार पुच्छनपर बैठल बान्हि पग्गड ।
बच्चा बैठल बीस सब हम डग्गम डग्गम ।
हल्लम हल्लम हौदा हाथी चल्लम चल्लम।
दिन भरि घूमी हाथीपर, हल्लर हल्लर।
हाथी दादा कनि नचादू चल्लर चल्लर ।
एना नहि रे गिरि जाएब धम्मम धम्मम।
हल्लम हल्लम हौदा हाथी चल्लम चल्लम।
000

शिशुगीत
--- डा राष्ट्रबन्धु
कहलक बनरा बनरीस'
चलू नहाय गंगा।
बच्चाके छोडि घरेमे
हुअए दू हुडदंगा ।

बानर आ बनरनिञा
भागि भागि क' आएल
मुदा घाटपर डंटा स'
दुनू गेल भगाएल ।

बानर बाजल भागू दौडक'
एत्त' मचल छै दंगा।
मन चंगा त' भरल कठौती
बनि जाइत अछि गंगा।
000

गीत
-- विष्णुकान्त पाण्डेय
घोडा नाचे हाथी नाचे
नाचे सोन चिडैया ।
किलकि किलकि क' बंदर नाचे
भाउल ता-ताता- थैया ।
ठुमकि ठुमकिक' खढिया नाचे
ऊॅट पठरु गैया ।
आबि जुमल जे शेर सोझामे
मचल हाय गे दैया ।
000

बालगीत
-- सूर्य कुमार पाण्डेय
बिलाइ मौसी चलल बनारस
ल' क' झोरा डंटा ।
गंगा तटपर मिलल ओकरा
पडल मूस मोटका ।
मुसरी बाजल-- बिलाइ मौसी
चलू करादू पूजा ।
हमरासन पडल, एतए घाटपर
नहि भेटत दूजा ।
बिलाइ बाजल यौ पंडाजी
भूख लागल अछि भारी ।
पूजा नहि, पेट पूजाके
करू तुरुन्त तैयारी।
समझि गेल मूस
बिलाइ मौसीक पंगा मनमे ।
टीका चनन छोडि घाटपर
कूदल गंगाजी मे।
000

गीत
-- रोहिताश्व आस्थाना
लड्डू पेंडा सन दिन होइत
रसगुल्ला सन राइत ।
तब कतेक खुश होइती
हम सबके मौज मनइत।
गरम जिलेबीस' जे
जॅ होइत अपन शुरू पढाइ ।
तबत' दिनभरिमे ठीके
सबहे किताब पढा जाइत ।
गेंद सेवके होइत
ऊइखके होइत जे बल्ला ।
विकेट खूब लिती
चौका छक्का खूब लगइत ।
मीठ आमके बागमे
पढाइत जॅ गरहन बिटगरहा ।
गणित हमरा हलुवासन लगैत
नीक नम्बर अबइत ।
भोर सांझ मम्मी जं
दितथि हमरा शक्कर-पाला
त' हमरा कोइली भाइ बना
गीत मुधुर सुइत ।
000

गीत
-- बिष्णुकान्त पाण्डेय

मटरपर चढि बन्दर निकलल
करए सयर सपाटा ।
चौबटियापर ठाढ पुलिसके
ओ रुकिक' डटलक ।
बेबकूफ हटिजो आगूस'
आबए हमर गाडी ।
पिचाक' मरि जएबे नाहकमे
केहन निपट अनाडी ।
000

छजन्ता फरहडी   लपकले दलकल मधेश-प्रदेशक नव निर्वाचित सभामुख माननीय रामचन्द्र मण्डलजी अपन क्षेत्र (1 ख)क विकास निर्माणक नि...
22/01/2023

छजन्ता फरहडी
लपकले दलकल मधेश-प्रदेशक नव निर्वाचित सभामुख माननीय रामचन्द्र मण्डलजी अपन क्षेत्र (1 ख)क विकास निर्माणक निरीक्षण भ्रमणक पहिल बोहनीक क्रममे हॅसपुर न पा, आ वा नं 2 बघचौडामे आइ भलमनसी बडैता डेग देलन्हि।
फरहडी देखबैत ओतए पहुँचल सुरखुरु मास्टर साहेव/रामचन्द्रजीके वडाध्यक्ष जयनारायणक सङे, दरेगी गौंआरी भावस' तिरपित नेहाल होइत ओतुका लोक समाज हुनका स्वागत सत्कार त' करबे कएलनि, हॅसपुर न पा के मेयर प्रदीप यादवजी स्वागत सत्कारमे कोनो कमी कोताहि नइ कएलन्हि।
एहिस' पहिने स्थानीय तहक आ प्रदेश तहक सरकारक बीचमे अनेरे अदृश्य दूरी जे देखल जाइत छलै से एहिस' एकलेखे दूर भेल वोध मात्रे नइ, ओहि न पाके सबहे विकास निर्माणक काजमे, हुनका भरस' सबतरहक सहयोग कर', कराब'के सहकार्यक आवेशी आ विश्वासनीय प्रतिवद्धता व्यक्त भेलै, ओहिस' सोकाजक उत्साह ओ मनगर विश्वास ओतुका लोक समाजमे जगलै ।
गदगद् नेहाल होइत अपन गाम आ क्षेत्रस' निर्वाचित सभासदके मधेश प्रदेशक सभामुखमे रामचन्द्र रामचन्द्रजीके, ओतुका लोक समाज अविभूत होइत हुनक सफल कार्यकालक शुभकामना व्यक्त कएलन्हि।

संसदीय बरद हटियामे,राजनैतिक फेरहइ पैकारी शुरु !!
19/12/2022

संसदीय बरद हटियामे,
राजनैतिक फेरहइ पैकारी शुरु !!

Address


Website

Alerts

Be the first to know and let us send you an email when Dhua Dhaja posts news and promotions. Your email address will not be used for any other purpose, and you can unsubscribe at any time.

Contact The Business

Send a message to Dhua Dhaja:

  • Want your business to be the top-listed Media Company?

Share