Mithila Mirror

Mithila Mirror मिथिला मिररः ग्लोबल मिथिलाक मुखर आवाज
(292)

मिथिला मिरर वैश्विक स्तर पर मैथिली समाचारक स्तंभ बनि स्वयँ केँ स्थापित कयलक अछि। पत्रकारिता जमीन सँ, स्टूडियो सँ नहि केँ मूल मंत्र लय मिथिला मिरर मैथिली पत्रकारिता मे नित-नव अध्याय लिखबाक लेल अग्रसरित अछि। जँ अहूँ मे मैथिली पत्रकारिता करबाक जुनून अछि तँ मिथिला मिरर अहाँकेँ आवाज केँ जन-जन धरि पहुँचायत।

17/09/2025

गौरा बौराम विधानसभाक रसियारी गामक मतदाता लोकनि कहलनि ‘गाम अयबाक लेल नावक सहारा आ राति-बिराति सड़क पर बिलमय पडै़त छल मुदा संजय बाबू जय-जय कऽ देलनि!’

16/09/2025

भारतीय सेना सँ रिटायर्ड जवान बाॅर्डरक स्थिति 2014 सँ पहिने आ ओकरा बादक, बिहार मे सत्ता परिवर्तनक विषय मे की कहि रहल छथि।

15/09/2025

बेनीपुर विधानसभाक नवादा भगवती गामक एकटा मतदाता जे जनसंघ आ भाजपाक सुच्चा समर्थक आखिर कियैक तेजस्वी केँ मुख्यमंत्री बनेबाक बात कहि रहल छथि। एहि मतदाताक बात सँ अपने कतेक सहमत छी!

14/09/2025

दरभंगाक बेनीपुरक भगवती गाम नवादा मे मतदाताक कहब छनि जे ‘उद्योग मे विफल रहितो हमसभ नीतीश कुमार पर विश्वास करब।’ जखन विकल्प विहीन विपक्ष अछि हमरा सभक लेल तँ बदलाव नहि हैत।

14/09/2025

सहरसा विधानसभाक बनगाँव मे मतदाता लोकनि कहला जे ओ सभ विधायक आलोक रंजन सँ बिमुख मुदा मोदीक नाम पर वोट करताह। ई दुःखक बात अछि जे स्थानीय नेता सभ सँ मतदाता केँ भरोस उठल जा रहल छनि।

14/09/2025

बेनीपट्टी विधानसभाक मतदाता सँ बातचीत कयला पर हुनक कहब छनि ‘सरकार सँ संतुष्ट छी मुदा जँ विनोद नारायण झा बेनीपट्टी सँ उम्मीदवार हेताह तँ तेसर विकल्प जनसुराज देखब हमसभ।’ की अहाँ सभ एहि बात सँ सहमत छी।

14/09/2025

निर्मली विधानसभाक चाँद-पिपर केँ मतदाता लोकनि कहलनि ‘नीतीश नीक-अधलाह जे छै मुदा एहि राज मे जाति-पाति नहि छै, शांति सँ तँ रहि रहल छी।’ बहुत काज भेल आ हमरा सभ संतुष्ट छी।

14/09/2025

अलीनगर मे मतदाता सभ भाजपा विधायक मिश्रीलाल यादव सँ असंतुष्ट छथि मुदा सरकारक लेल मुखर भऽ ठाढ़ देखना जा रहल छथि। मतदाताक कहब छनि जे एक बेर आओर मोदी-नीतीश बिहारक लेल आवश्यक छथि।

12/09/2025

पिपरा विधानसभाक महादलित बस्ती मे जा ओहिठामक महादलित मतदाता सभक मोनक बात जनबाक कोशिश कयलहुँ। हुनका लोकनिक कहब छनि ‘मारि खाइ लेल तेजस्वी केँ थोड़बेक चुनब। नीतीश सरकार मे सभ किछु नीक चलि रहल अछि, एक बेर फेर नीतीश केँ मौका अवश्य देब।’

12/09/2025

फुलपरास विधानसभाक एकटा मतदाता कहलनि ‘सरकार तँ नीतीश कुमारक बनत मुदा जमीनी स्तर पर भ्रष्टाचार कम केनाइ बहुत आवश्यक अछि। हमसभा लालू यादव लेल बहुत मेहनत कयने रही मुदा लालू राज देखि मोन मे दुःख होइत छल जे कियैक लालू यादव लेल एतेक मेहनत कयलहुँ।

12/09/2025

दरभंगा हवाइ अड्डाक स्थायी टर्मिनलक निर्माण आब जमीन पर देखाय लागल अछि! एहि निर्माणक दृश्य राति मे आओर बेसी मनोरम लगैत अछि। अपने केँ बता दी जे 912 करोड़ टका सँ स्थायी टर्मिनलक निर्माण भऽ रहल अछि। उम्मीद अछि एहि ठंढा मे हवाइ अड्डा सँ नीक जकाँ हवाइ परिचालन भऽ सकैत अछि कारण आइएलएस आ कैट टू केँ तैयारी चलि रहल अछि।

11/09/2025

मिथिलाक स्टार्टअप मे रूची रखनिहार युवा सभक लेलक एकटा ठेकान बनि सामने आयल आइटी पाक्र्स आॅफ इंडियाक दरभंगा ब्रांच। युवा सभक लेल ई एकटा समुचित जगह अछि जाहिठाम सँ अपन आइडिया केँ उड़ान देल जा सकैत अछि। आउ देखल जाउ ई रिपोर्ट।

Address

A-3, S/F, Jai Bharat Enclave, Jain Road, Uttam Nagar
Delhi
110059

Alerts

Be the first to know and let us send you an email when Mithila Mirror posts news and promotions. Your email address will not be used for any other purpose, and you can unsubscribe at any time.

Contact The Business

Send a message to Mithila Mirror:

Share