Samadia

Samadia Contact information, map and directions, contact form, opening hours, services, ratings, photos, videos and announcements from Samadia, Media/News Company, Madhubani.

समदिया : मीडिया नहि अहाँक भरोस

यूट्यूब पर जुड़बाक लेल
https://youtube.com/

व्हाट्सएप्प पर जुड़बाक लेल
https://whatsapp.com/channel/0029Vb8jXKq4tRs13Puzp206

सावन मास : बाबा भुवनेश्वर नाथ महादेवक दर्शन 🙏
12/08/2026

सावन मास : बाबा भुवनेश्वर नाथ महादेवक दर्शन 🙏

मधेपुरा जिलाक सिंहेश्वर थाना क्षेत्र सँ आइ काल्हि 12 वर्षीया एकटा लड़की केँ अचानक लड़का बनि जेबाक मामला चर्चा मे आएल छल,...
11/08/2026

मधेपुरा जिलाक सिंहेश्वर थाना क्षेत्र सँ आइ काल्हि 12 वर्षीया एकटा लड़की केँ अचानक लड़का बनि जेबाक मामला चर्चा मे आएल छल, आ तकरा किछु यूट्यूबर आ ब्लाॅगर द्वारा व्यू बटोरबाक नाम पर हद सँ बेसी हाइप सेहो देल जा रहल छल. मुदा आब पुलिस एहि मामलाक पटाक्षेप क' देलक अछि. जनतब दी जे ई खबरि वायरल भेलाक बाद मामला मे पुलिस हस्तक्षेप केलक आ उक्त बच्ची केँ थाना आनि जांच कराओल गेल. से जांचक बाद पूरा मामला फर्जी साबित भेल अछि.

सीतामढ़ी मे स्वास्थ्य विभागक कार्यालय पंजीक दुरुपयोग आ थानाध्यक्ष केँ फर्जी पत्र जारी करबाक मामला मे बड़कख कार्रवाई कएल ...
11/08/2026

सीतामढ़ी मे स्वास्थ्य विभागक कार्यालय पंजीक दुरुपयोग आ थानाध्यक्ष केँ फर्जी पत्र जारी करबाक मामला मे बड़कख कार्रवाई कएल गेल अछि. असल मे जांच मे आरोप सही पाओल गेलाक बाद सिविल सर्जन द्वारा डीसीएम समरेंद्र नारायण वर्मा केँ निलंबित क' देल गेल अछि. डीसीएम पर आरोप छै जे ओ स्वास्थ्य विभागक कार्यालय पंजीक अनधिकृत रूप सँ इस्तेमाल करैत विभाग दिस सँ थानाध्यक्ष केँ एकटा फर्जी पत्र जारी कएने छलाह.

मधुबनी जिला मे विज्ञान आ तकनीकी शिक्षाक क्षेत्र मे बड़ पैघ पहलक तैयारी शुरू भ' गेल अछि. भेटल जानकारी अनुसार, जिलाक रहिका...
11/08/2026

मधुबनी जिला मे विज्ञान आ तकनीकी शिक्षाक क्षेत्र मे बड़ पैघ पहलक तैयारी शुरू भ' गेल अछि. भेटल जानकारी अनुसार, जिलाक रहिका मे डिजिटल तारामंडल आ स्पेस एंड एस्ट्रोनॉमी एजुकेशन सेंटरक स्थापना लेल प्रशासनिक प्रक्रिया तेज क' देल गेल अछि. जाहि लेल बिहार सरकारक विज्ञान, प्रौद्योगिकी एवं तकनीकी शिक्षा विभाग जिला प्रशासन सँ भूमि उपलब्ध करएबाक अनुरोध केलक अछि आ बताओल जा रहलैए जे प्रशासनिक जांचक बाद रहिका मे करीब 2 एकड़ 31.1 डिसमिल सरकारी जमीन चिह्नित कएल गेल अछि. जाहि भूमिक नजरी नक्शा, मापी प्रतिवेदन, राजस्व कर्मीक जांच रिपोर्ट सहित अन्य आवश्यक दस्तावेज अंचल प्रशासन दिस सँ तैयार सेहो क' लेल गेल अछि.

दरभंगा जिलाक सकतपुर थाना क्षेत्रक श्रीरामपुर स्थित वार्ड पांच मे बीतल दिन रंजीत मुखियाक पुत्र संदीप मुखिया (13 साल) केँ ...
11/08/2026

दरभंगा जिलाक सकतपुर थाना क्षेत्रक श्रीरामपुर स्थित वार्ड पांच मे बीतल दिन रंजीत मुखियाक पुत्र संदीप मुखिया (13 साल) केँ करैत सांप पैर मे डसि लेल. परिजन आनन-फानन मे ओकरा उठा क' झंझारपुर ल' गेलाह, जतए सँ प्राथमिक उपचारक चिकित्सक लोकनि रेफर क' देलनि, से डीएमसीएच ल' जेबाक क्रम मे ओकर जान चलि गेल. संदीपक मृ°त्युक एकहि-दू घंटा बाद ओकर छोट भाई अंदीप (7 साल) केँ सेहो सांप काटि लेल. बताओल जा रहलैए जे सांप बिछाओल मे घुसले छल. से अंदीप केँ गरदनि पर काटि लेलक. बच्चा केँ तत्काल अस्पताल पहुंचाओल गेल, जतए ओकर हालत गंभीर बताओल जा रहलैए.

दरभंगाक कर्पूरी चौक पर एलिवेटेड सड़क निर्माणक दौरान ऊपर सँ लोहाक शटरिंग खसला सँ एकटा बाइक सवार गंभीर रूप सँ घायल भ' गेल....
11/08/2026

दरभंगाक कर्पूरी चौक पर एलिवेटेड सड़क निर्माणक दौरान ऊपर सँ लोहाक शटरिंग खसला सँ एकटा बाइक सवार गंभीर रूप सँ घायल भ' गेल. प्रत्यक्षदर्शीक अनुसार, लोहाक शटरिंगक बहुत भारी छल, से बाइक सवार केँ बढ़िया चोट आएल अछि. ई घटना निर्माण एजेंसीक घोर लापरवाही आ सुरक्षा मानक सभक अनदेखी केँ उजागर करैत अछि.

11/08/2026

... आ राजकीय सम्मानक संग पंचतत्व मे विलीन भ' गेलाह मैथिली साहित्यक ख्यातिलब्ध साहित्यकार डॉ राजेन्द्र विमल.

11/08/2026

मैथिलीक वरिष्ठ साहित्यकार डॉ राजेन्द्र विमलक पार्थिव शरीरक दर्शन करए नेपाल सरकारक संस्कृति मंत्री हुनक आवास पर पहुंचल छथि. केलनि पुष्पार्पण

मंडल कारा रामपट्टी स्थित मंडल कारा मधुबनी मे बंद एकटा कैदीक संदिग्ध परिस्थिति मे मृ°त्यु होएबाक खबरि सोझा आएल अछि. मृ°त ...
11/08/2026

मंडल कारा रामपट्टी स्थित मंडल कारा मधुबनी मे बंद एकटा कैदीक संदिग्ध परिस्थिति मे मृ°त्यु होएबाक खबरि सोझा आएल अछि. मृ°त कैदीक पहचान अरेर थाना क्षेत्रक ब्रह्मोतरा गाम निवासी रामदयाल यादवक बेटे रौशन कुमार यादव(20 बरख)क रूप मे भेल अछि, युवक आर्म्स एक्टक एकटा मामलाक कारणें जेल मे छल. परिजन जेल प्रशासन पर ह°त्याक गंभीर आरोप लगबैत निष्पक्ष जांचक मांग केलक अछि.

मैथिलीक वरिष्ठ साहित्यकार डॉ. राजेन्द्र विमलक निधन पर नेपाल सरकार हुनका राजकीय सम्मान देबाक घोषणा केलक अछि. एहि संबंध मे...
11/08/2026

मैथिलीक वरिष्ठ साहित्यकार डॉ. राजेन्द्र विमलक निधन पर नेपाल सरकार हुनका राजकीय सम्मान देबाक घोषणा केलक अछि. एहि संबंध मे संस्कृति, पर्यटन तथा नागरिक उड्डयन मंत्रालय गृह मंत्रालय केँ एकटा पत्र लिख' अंतिम संस्कार मे राजकीय 'शोक सलामी' (Guard of Honour) देबाक लेल आवश्यक व्यवस्था करबाक अनुरोध केलक अछि. संगहि पत्र मे इहो लिखल अछि जे डाॅ. विमलक अन्त्येष्टि कार्यक्रम) मे सरकार दिस सँ संस्कृति, पर्यटन तथा नागरिक उड्डयन मंत्री खड़क राज पौडेल शामिल हेतथि. से स्थानीय प्रशासन आ जिला प्रशासन कार्यालय, धनुषा केँ सेहो इस संबंध मे उचित समन्वय आ सुरक्षा व्यवस्था सुनिश्चित करबाक निर्देश देल गेल अछि.

Address

Madhubani
847102

Alerts

Be the first to know and let us send you an email when Samadia posts news and promotions. Your email address will not be used for any other purpose, and you can unsubscribe at any time.

Contact The Business

Send a message to Samadia:

Shortcuts

Share