Mithila Jodi

Mithila Jodi मैथिल आ मैथिलानी के जोड़ी

लुप्त होईत "मिथिला"  _____________________    शामा, कौनी,मरुआ, मौनी     ढकना,सरबा भेलै विलुप्त।  अल्हुआ अभागल घर सऽभागल ...
28/09/2025

लुप्त होईत "मिथिला"
_____________________
शामा, कौनी,मरुआ, मौनी
ढकना,सरबा भेलै विलुप्त।
अल्हुआ अभागल घर सऽभागल
चिक्कस,चाउर सब भेलै लुप्त।।

बाबाक पैंना,दायक बैना
कोठी-भरली गेलै फुईट ।
सिक्का,सिक्की,चंगेरा-चंगेरी
उख्खड़ि,समाठ सब गेलै टुईट।।

घैला,तौला,दहीक मटकुरी
शनै: शनै: सब भेलै गायब।
ढ़ेका-ढ़ेकी,ढ़किया,पथिया
ई सगरो नहिं कतौ पायब।।

पौती,पेटारी ,बाबाक बखारी
महफा,कहार के भेलै विदाई ।
टारा,टारी,डाली-हारी
चित्ति सुपाड़ी ने आब कियो खाई।

बड़दक आंती,जाड़क गांती
केथरी,चेथरी गेल पड़ाई ।
नवकी कनिया देहक अंगिया
शाम-चकेवा गेल हेराई ।।

खापड़ि-खुड़पी,सिड़की-सुड़की
जट-जटिन आब भेलै विरान।
अरुआ,फरुआ,तरुआ,भरुआ
आब ने कतौ तिलकोरक मान।।

तौनी,दौनी,पौनी,पसारी
मेह,खुंटा ने कतौ कड़ाम।
कनिया-पुतरा,चटिया-खटिया
आब ने कतौ भेटय खड़ाम।।

बौआ-बुच्ची,लुच्चा-लुच्ची
खुरलुच्ची के भेल अभाव।
नांगट,भांगठ,सांकट ने कियो
सगरो छोड़ल अपन स्वभाव।।

बुड़बक, काबिल,माझिल,साझिल
आब ने कतौ भेटय अमोट।
बिन आमिल तरकारी छमकै
'बड़ी' दिन-दिन भेलय छोट।।

ककरो घर ने जांत भेटय छै
लोड़ही-सिलौट भेलै सुकुमार।
चटगर-चटनी सौउस बनल छै
सर-समाज में पड़ल दड़ार।।

गोनैर-डोरी,पेन्टक छोंड़ी
सिपटीपीन आब गेलय चुईक।
डिबिया-बाती,पिटै छाती
मटियो तेल आब गेलय हुईक।।

हर-पालो आ लागनि टुटल
संगहि छिटकल जोति-कनैल।
बान्हल बड़द बौउख गेलय आब
साउर-चड़क वा होई वो कैयल।।

कुसियारक ने रस चुबै छै
दुद्धी भेटय ने कोनो ठाम।
लबका-लबका आईटम भेटय
जहड़क पुड़िया गामे-गाम।।

बथुआ-बिड़िया बातें सोन्हगर
कुम्हरौरी के भेलय तालाक।
चड़-चड़ौरी,बड़, अदौरी
सबटा मनोरथ भेलय खाक।।

ठांऊ-पिड़ही,पाहुन-पड़क आ
बाट-बटोही भेलय गौण।
शेर-पशेरी,कनमा, शोरे
लबादुआ ने जोखै मोन।।

ओरिका,तामा,दाईब दैईब गेल
रह्हि रहि गेल ठारहि-ठाड़।
नेना-भुटका भेलय अगत्ती
डाबा,कोहा के फोड़ल कपाड़।।

ओरियानी,ओसारा हटलै
खाम्ह,बड़ेड़ी करय किलोल।
कोरो-बाती,बन्हन बाजल
घर-दुआरि में छै बड्ड झोल।।

गोड़ा-गोड़हा,लोड़हा-ओड़हा
सागक-भक्खा खाईथ आईर।
सजबी-दहीक खौर पौड़ल अछि
कलहा के सब परहैन गाईड़।।

बोगली,बटुआ,बिष्टी,धरिया
डोरर,लंगोटी,नांगट भेल।
डराडोईर ने डांर धरै आब
अपनेहि में सब झंझट कयल।।

हेहर-थेथर,आगर-बागर
छागर के फाटल छछनार।
पाठा-पाठीक पीठ सैट गेल
नार-पुआर आब भेल बीमाड़।।

चुल्ही,जाड़ैन,लाड़ैन लड़ि गेल
मुरही संग भागल कंसार।
बीचहि बांट में लाई भेट गेल
जा बैसल सब हाट-बाजार।।

परतानक ने तान सुनै छी
सुनी पराती नहिं भोरे-भोर।
दाई-माई नहिं सांझ गबै छथि
सगरो 'मिथिला' ढ़ारथि नोर
सुन्दर प्रस्तुति। के थिकाह जे अपना लोकनिक विलुप्त भए रहल हेरायल भोतिएल लौकिक शब्दावलीक, खोंचारि खोंचारि, खोंइचा छोरा रचना केने छथि। रचनाकार कें बहुत बहुत धन्यवाद। मोन परै छथि साहित्यकार काञ्चीनाथ झा किरण आ हरिमोहन झा एवं रविन्द्र, महेन्द्र क जोड़ी जे ई सब एहने एहने शब्दक पाछू पड़ल रहै छलाह आ मैथिली कें जियौने रहलाह। एहि ह्वाटसैप ग्रुपक सदस्य सब सँ आग्रह जे अपन अपन परिवार मे खास कए नेना भुटका एवं नवतुरिया कें एहि शब्द सब सं परिचय कराबी आ मैथिलीक रक्षा करी। अंतत:,
चुल्हा चुल्ही बिड़ले देखी,
लुत्ती भांजब ने कखनो सीखी ।
लारनि खापरि लावाक योग
छांछी पौड़ल दहीक भोग ।
जय मिथिला जय मैथिली

15 दिनक नवजात शिशु के मुंह में पत्थर ठूईस के  फेबिक्विक सों मुँह क चिपका क एकटा कुमाता अपन पाप छिपबै के लेल भिलवाड़ा(राज...
28/09/2025

15 दिनक नवजात शिशु के मुंह में पत्थर ठूईस के फेबिक्विक सों मुँह क चिपका क एकटा कुमाता अपन पाप छिपबै के लेल भिलवाड़ा(राजस्थान) सीता कुंड महादेव जंगल बिजौलिया में नवजात शिशु के पत्थर के नीचा दबे क छोईड़ देलक लेकिन भगवान केर कृपा सों बालक ग्वाला सब के जिन्दा मिलल बालक सुरक्षित अछि केहन ओ माँ हेथि जे एहन अपराध केली जे अपराध क्षमा योग्य नै अछि पालन पोषण करबाक क्षमता नै हुए ते जन्म देबाके नै चाही ई घटना के जतेक निंदा कैल जाई ओतेक कम अछि

🚩🙏कन्या भोजन🚩🙏🌺जय-जय भै‍रवि असुर भयाउनिपशुपति भामिनी मायासहज सुमति वर दियउ गोसाउनिअनुगति गति तुअ पायावासर रैनि सबासन शोभ...
28/09/2025

🚩🙏कन्या भोजन🚩🙏
🌺जय-जय भै‍रवि असुर भयाउनि
पशुपति भामिनी माया
सहज सुमति वर दियउ गोसाउनि
अनुगति गति तुअ पाया

वासर रैनि सबासन शोभित
चरण चन्‍द्रमणि चूड़ा
कतओक दैत्‍य मारि मुख मेलल
कतओ उगिलि कएल कूड़ा

सामर बरन नयन अनुरंजित
जलद जोग फुलकोका
कट-कट विकट ओठ पुट पांडरि
लिधुर फेन उठ फोंका

घन-घन-घनय घुंघरू कत बाजय
हन-हन कर तुअ काता
विद्यापति कवि तुअ पद सेवक
पुत्र बिसरू जनि माता🌺






🙏

#कन्याभोजन👣



#घरमेंकन्यापूजन
#नवरात्रोत्सव
#नव
#बेनीपट्टी #मिथिला #मधुबनी

🙏हम दुर्गा शक्ति स्वरूपा छी, विष्णुक घर लक्ष्मी रूपा छी,ब्रह्मा घर में ब्रह्माणी छी, गिरिजा शिव घर मे अनूपा छी,हम बेटी ब...
28/09/2025

🙏हम दुर्गा शक्ति स्वरूपा छी, विष्णुक घर लक्ष्मी रूपा छी,
ब्रह्मा घर में ब्रह्माणी छी, गिरिजा शिव घर मे अनूपा छी,
हम बेटी बहिन बनलि जग के, हम मानव के महतारी छी।
हम भारत देशक नारी छी।

हम अर्द्धागिणी बनलि स्त्री, तं कखनहुं हम परित्यक्ता छी,
हम विधवा रूप अशोभन छी, हम पतिक प्रेम अनुरक्ता छी,
मन्दिर मे देवक दासी छी, हम पूज्या रूप कुमारी छी,
हम भारत देशक नारी छी।

हम पुरुष पात्र के भोग्या छी, नहि वेद ज्ञान के योग्या छी,
हम जन्महिं सं अभिशप्त बनलि, हम करुणा नोर रहलि डूबलि,
अछि रूप अपावन हमर दृष्टि, हम घेरल रही विकारी छी,
हम भारत देशक नारी छी।

हम रज छी सृष्टिक वृज स्वरूप, धारण कय गर्भ करी पोषण
हमरे कोखिक फल पुरुष रूप, जे करय हमर अनुखन शोषण,
मधुकर नारी नारी जीवक, मंगलकारी सुखकारी छी
हम भारत देशक नारी छी।

नर कें जें काम उजोहि चढय, तं हमर खुशामद खूब करय,
जें अपन कामना व्यक्त करी, मारय छाती पर लात धरय,
हम सदा उपेक्षा पात्र बनलि, हम तारण के अधिकारी छी
हम भारत देशक नारी छी ।🙏
– राम चन्द्र मिश्र मधुकर

27/09/2025

कोनो दिन,जहिया अहाँकेँ कोनो समस्या नइँ आएत,त अहाँ सुनिश्चित भ जाउ जे अहाँ गलत रस्तापर चलि रहल छियै

आपन माईट पाईन सों जुड़ल खूब निक-निक पोस्ट देखबाक लेल जल्दी सों ई पेज के फॉलो को लिय🙏
27/09/2025

आपन माईट पाईन सों जुड़ल खूब निक-निक पोस्ट देखबाक लेल जल्दी सों ई पेज के फॉलो को लिय🙏

😊उपनयन संस्कारक किछू पुरान यादक किछू छवि😊समय बीत जाईत छै समय केर याद सिर्फ बांचल रैह जाईत छै चित्र बनि क याद बनि क😊Niraj...
27/09/2025

😊उपनयन संस्कारक किछू पुरान यादक किछू छवि😊समय बीत जाईत छै समय केर याद सिर्फ बांचल रैह जाईत छै चित्र बनि क याद बनि क😊
Niraj Jha Vatsa

📖 चानन भेल विषम सर रे, भूषन भेल भारी।सपनहुँ हरि नहिं आएल रे, गोकुल गिरधारी॥एकसरि ठाडि कदम-तर रे, पथ हेरथि मुरारी।हरि बिन...
26/09/2025

📖 चानन भेल विषम सर रे, भूषन भेल भारी।
सपनहुँ हरि नहिं आएल रे, गोकुल गिरधारी॥

एकसरि ठाडि कदम-तर रे, पथ हेरथि मुरारी।
हरि बिनु हृदय दगध भेल रे, झामर भेल सारी॥

जाह-जाह तोहें ऊधब हे, तोहें मधुपुर जाहे।
चंद्रबदनि नहिं जीवति रे, बध लागत काहे॥

भनइ बिद्यापति तन मन रे, सुन गुनमति नारी।
आजु आओत हरि गोकुल रे पथ चलु झटझारी॥📖

🌺प्रथमं शैलपुत्री च द्वितीयं ब्रह्मचारिणी।🌺🌺तृतीयं चन्द्रघण्टेति कूष्माण्डेति चतुर्थकम् ।।🌺🌺पंचमं स्कन्दमातेति षष्ठं कात...
25/09/2025

🌺प्रथमं शैलपुत्री च द्वितीयं ब्रह्मचारिणी।🌺
🌺तृतीयं चन्द्रघण्टेति कूष्माण्डेति चतुर्थकम् ।।🌺
🌺पंचमं स्कन्दमातेति षष्ठं कात्यायनीति च।🌺
🌺सप्तमं कालरात्रीति महागौरीति चाष्टमम् ।।🌺
🌺नवमं सिद्धिदात्री च नवदुर्गा: प्रकीर्तिता:।🌺
🌺उक्तान्येतानि नामानि ब्रह्मणैव महात्मना ।।🌺

Address

Supaul
852131

Website

Alerts

Be the first to know and let us send you an email when Mithila Jodi posts news and promotions. Your email address will not be used for any other purpose, and you can unsubscribe at any time.

Share