04/11/2025
अप्पन सुन्दर हरिपुर गामक हाल–चाल!
जे लोक कहैत छै “हरिपुर हमर शान”, ओहो! एक बेर नजर फेरि देखू, की अवस्था छी अपन गामक?
एहि हालमे की अहाँक मन मोन होइत छै?
की अहाँ केँ अपन गाम सँ ममता नै छै?
की एहि अवस्थामें देखिकऽ सुख लागैत छै?
अवश्य—कोनो लोक केँ ई मन नै पड़त।
त हम सब के कर्तव्य की?
अगर मन नै पड़ैत छै, त समाधान के दिशा में आगू बढ़नाइ जरूरी छै।
ई समस्या समाधान करबाक लेल आर्थिक सहयोग अति आवश्यक छै।
आर्थिक सहयोग कतए सँ?
कियाक ई विषय पर चुप रहलासँ किछु नै होएत।
एहि लेल आग्रह:
हरिपुर गामक सभ युवक, जनप्रतिनिधि, समाजसेवी, बुज़ुर्ग तथा बुद्धिजीवी सभकेँ
एकहि ठाम बैठि, जल्द सँ जल्द विस्तृत छलफलक आयोजन करबाक प्रयत्न करी।
गामक विकास हमरे हाथमे छै, बाहिरक कियो नै आबि कऽ हमरो गाम सुधारि देत।
🚩 स्थान: धनुषाधाम नगरपालिका
🚩 वडा नं. ६ हरिपुरक वास्तविक स्थिति
नीचाँ देखायल तस्वीर सभ बाहिरक नै — हमर अपने गामक छै।
चलू,
अप्पन गाम, अप्पन जिम्मेदारी
गर्व सँ हरिपुर — परिश्रम सँ हरिपुर!
👏👏