I Love Mithila

  • Home
  • I Love Mithila

I Love Mithila No. 1 Maithili Page & Portal of Nepal ! www.maithili.com.np

4.

Love Mithila: Stand for Maithili

I Love Mithila is a passionate project dedicated to preserving, promoting, and celebrating the rich culture and heritage of Mithila and the Maithili language.


1.News Publisher: Stay informed about current events and happenings in Mithila through www.ilovemithila.com 's comprehensive news section.

2. Maithili Literature: Immerse yourself in the beauty and depth

of Maithili poetry, a cornerstone of Mithila's cultural identity.

3. Music Maithili (App): The world's first dedicated Maithili Music streaming app, further amplifying the voices of Maithili singers and musicians. Video Platform: Witness the vibrant traditions and stories of Mithila come alive through captivating videos. [YouTube]

5. Global Ambassador: I Love Mithila transcends borders, bringing the essence of Mithila to a global audience.

मसूरीक दाइल, रायके साग, आ टमाटरके चटनीसँ अम्बिका विश्वकर्मा अपन पति सन्तोष लेल खाना परसलनि। सन्तोष गहनाके दोकानमे काज कर...
11/11/2025

मसूरीक दाइल, रायके साग, आ टमाटरके चटनीसँ अम्बिका विश्वकर्मा अपन पति सन्तोष लेल खाना परसलनि। सन्तोष गहनाके दोकानमे काज करैत छल। भोरका खाना खा क गहना बनेबाक काजपर जाएब हुनकर दिनचर्या छल। भादब २३ गते [जेनजी आन्दोलनक दिन] सन्तोष सदिखनसँ किछु बेसी हरबड़ीमे देखाइत छलै। अम्बिका ओइ दिनकेँ याद करैत कहलनि, "कि हरबड़ी छलै?, थाह नै। दोस्तसभके फोन आबि रहल छलै। खाए क निकैल गेल।" काजके लेल जाइत हेतै, तँए अम्बिका जल्दीसँ खाना खुआ क सन्तोषकेँ विदा कएलनि। "धीया-पूता बाबुकेँ खोजैत छथि, साँझमे जल्दी आबू," सन्तोष अम्बिका दिस ताकैत जवाबमे "हँ!...

काठमाण्डूक जतेक अस्पताल छल, सबमे घायल पतिकेँ खोजए निकललीह। अन्तमे वीर अस्पतालमे मृत शरीर रहल पता चलल। गेटसँ भीतर ....

मधेश प्रदेशक प्रदेश प्रमुखसन गरिमामय पदमे सिफारिस भेलापर बौद्धिक व्यक्तित्त्व सुरेन्द्र लाभकेँ हार्दिक बधाइ। अहाँसँ बहुत...
11/11/2025

मधेश प्रदेशक प्रदेश प्रमुखसन गरिमामय पदमे सिफारिस भेलापर बौद्धिक व्यक्तित्त्व सुरेन्द्र लाभकेँ हार्दिक बधाइ। अहाँसँ बहुतरास आश-भरोस अछि।

10/11/2025

हमर व्यक्तिगत पहिचान कहबै त हम मधेशक लोक छी। हमरा मैथिली आ भोजपुरी दुनू भाषा अबैत अछि। हम सर्लाहीक छियै। जे सिनेमा हम बनेलौँ से सिनेमा पाँचथरक अछि, पहाड़ी क्षेत्रक सिनेमा अछि। ओइ क्षेत्रमे नइ हमर जन्म भेल, नइ हमर नेनपन ओतऽ बितल।

हमरा लेल एहन सिनेमासभ विशेष महत्त्व रखैत अछि किएक त हमरा विभिन्न संस्कृति, भाषा आ पृष्ठभूमि बुझबाक अवसर भेटैत अछि। : चर्चित फिल्म 'पूर्ण बहादुर सारङ्गी', 'जारी २' के अभिनेता विजय बराल

06/11/2025

भाइ-बहिनक अटूट स्नेह आ मिथिलाक लोक-संस्कृतिक प्रतिक सामाचकेवा पावनिके अवसरमे सम्पूर्णकेँ शुभकामना।

06/11/2025

" मिथिला आगाँ नइ बढ़बाक कारण भोजपुरीक अश्लील गीति क्लचर छियै । मिथिलाक एहन अवस्था छै कि विवाह-दान, आदि कोनो अवसरमे भोजपुरी गीत बजै छै । ओइ ठामक लोक ठुमकिक' नचै छथि । मुदा गीतक अर्थ लगेबै त घर-परिवारसङ्ग बैस' वला अवस्था नइ रहि जाइत अछि ।",

'जन-चेतना आधार' मैथिली-नेपाली rap गीतक rapper डि के सागर सञ्जय सिलवालक पोडकास्ट ON AIR मे कहै छथि।



Priya Mallick

हम आगि छी, हमर जतन करुहमर क्राेधकें ज्ञानसँ पतन करुकवि धीरेन्द्र प्रेमर्षिजी “आगि” (अग्नि)केँ एकटा स्त्री-रूप प्रतीक बना...
05/11/2025

हम आगि छी, हमर जतन करु
हमर क्राेधकें ज्ञानसँ पतन करु

कवि धीरेन्द्र प्रेमर्षिजी “आगि” (अग्नि)केँ एकटा स्त्री-रूप प्रतीक बनाकें प्रस्तुत कएने छथि । एकटा एहन शक्तिरूप जे सृष्टि आ संहार दुनुकेँ समेटने अछि, जे पोषण सेहो करैछ आ विनाश सेहो।

पूरा पढ़बाक लेल Link पर Click करी -

हम आगि छी, हमर जतन करु

नेपाल कम्युनिष्ट पार्टी (माओवादी केन्द्र) आ नेपाल कम्युनिष्ट पार्टी (एकीकृत समाजवादी) सहित विभिन्न दश वामपन्थी शक्तिसभक ...
05/11/2025

नेपाल कम्युनिष्ट पार्टी (माओवादी केन्द्र) आ नेपाल कम्युनिष्ट पार्टी (एकीकृत समाजवादी) सहित विभिन्न दश वामपन्थी शक्तिसभक बीच एकताक घोषणा भेल अछि । ई एकतासँ नवगठित पार्टीक नाम ‘नेपाली कम्युनिष्ट पार्टी’ राखल गेल अछि । १० दल एकतासँ बनल नेपाली कम्युनिस्ट पार्टीके संयोजकमे पुष्पकमल दाहाल ‘प्रचण्ड’ चयन भेल छथि । आइ एत आयोजित एकता राष्ट्रीय सम्मेलनसँ माधव कुमार नेपाल सहसंयोजक चयन भेल छथि। सम्मेलनमे अध्यक्ष मण्डलके सदस्य महिन्द्र राय यादव नवगठित पार्टीके संयोजकमे दाहाल आ सहसंयोजकके रूपमे नेपालके नाम प्रस्ताव कएलनि ।...

नेपाल कम्युनिष्ट पार्टी (माओवादी केन्द्र) आ नेपाल कम्युनिष्ट पार्टी (एकीकृत समाजवादी) सहित विभिन्न दश वामपन्थी श.....

विद्यापति स्मृति पर्वक अवसरमे मिथिला सर्वाङ्गीण विकास, बेनीपट्टीद्वारा नेपालीय मिथिलाक चारि गोट श्रष्टा 'मिथिला गौरव सम्...
05/11/2025

विद्यापति स्मृति पर्वक अवसरमे मिथिला सर्वाङ्गीण विकास, बेनीपट्टीद्वारा नेपालीय मिथिलाक चारि गोट श्रष्टा 'मिथिला गौरव सम्मान' सँ सम्मानित भेल छथि। सम्मानित भेनिहारलोकनि सङ्गीतज्ञ सुनिल मल्लिक, अभियन्ता जिवनाथ चौधरी, लोक गायक शुभाष विरपुरिया आ मिथिला चित्रकार रुबी पाठक सम्पूर्णकेँ आइ लभ मिथिलाक दिससँ हार्दिक बधाइ। मिथिला आ मैथिलीक गौरव-गरिमा अहिना गमकाबैत चलथि।

- फोटो : रुपा झा

03/11/2025

जीवनके जुरगुट्टी गुथी अही मिथिलामे
सुतिकऽ जँ उठी, हम रही मिथिलामे
अहाँ मुस्कीसँ शब्दकोश गिरा चली प्रिये
बिछिक' सदा हम कविता कही मिथिलामे

कवितांश आ स्वर :
Vidyanand Bedardi

हाल मिथिला एकटा भौगोलिक सीमामे नइँ होइतो एकर भाषा, साहित्य, कला, लोकसंस्कार आ आस्थाक जीवन्त संगम अछि। एहिसँ सांस्कृतिक ग...
31/10/2025

हाल मिथिला एकटा भौगोलिक सीमामे नइँ होइतो एकर भाषा, साहित्य, कला, लोकसंस्कार आ आस्थाक जीवन्त संगम अछि। एहिसँ सांस्कृतिक गौरव आ महान छठि पावनि प्रति सम्मान व्यक्त करबाक उद्देश्यक सङ आयोजित “कोसिया–४ : सांस्कृतिक अनुष्ठान” हनुमाननगरमे भव्य रूपसँ सम्पन्न भेल अछि। आइ लभ मिथिला मिडियाद्वारा प्रस्तुत तथा कोसिया आयोजन समितिक संयोजनमे हनुमाननगर कंकालिनी नगरपालिका–९ स्थित ऐतिहासिक महासेठ पोखरि क्षेत्रमे कार्यक्रम सम्पन्न कएल गेल अछि। पछिला किछु वर्षसभमे सांस्कृतिक कार्यक्रमक नामपर देखल जा रहल फूहड़पनकेँ चुनौती दैत कोसिया अइ बेर सेहो मैथिली संस्कृति, छठि पर्वक आध्यात्मिकता आ मौलिकताकेँ उजागर कएलक अछि, आयोजक समिति जानकारी देलनि ।...

“जड़िसँ जुड़ैत, परिवर्तन गढ़ैत” के मूल नाराक सङ आयोजित चारिम संस्करणमे स्थानीय कलाकार, विद्यार्थी तथा युवासभक उल्...

काठमाण्डू, १३ कात्तिकः ‘मोन्था’ चक्रवातक कारण शनिदिन भोरधरि देशक अधिकांश भागमे वर्षा होबाक संभावना रहल जल तथा मौसम पूर्व...
30/10/2025

काठमाण्डू, १३ कात्तिकः ‘मोन्था’ चक्रवातक कारण शनिदिन भोरधरि देशक अधिकांश भागमे वर्षा होबाक संभावना रहल जल तथा मौसम पूर्वानुमान महाशाखा जनाैलक अछि । कर्णाली आ सुदूरपश्चिम प्रदेशमे छिटपुट, अन्य प्रदेशमे मध्यम वर्षा होएत, तँ शनिदिन भोरसँ मात्रे मौसममे सुधार आओत से जल तथा मौसम विज्ञान विभागक प्रवक्ता विभूति पोखरेल राससकेँ बतौलनि । अगिला २४ घण्टा काठमाण्डू उपत्यकाक सङे आसपासक क्षेत्रमे वर्षा होबाक जानकारी दैत ओ सब स्थानपर निरन्तर वर्षा नइँ होबाक सेहो बतौलनि । अगिला २४ घण्टामे कोशी, बागमती, गण्डकी आ कर्णाली प्रदेशक पहाड़ी तथा हिमाली भेगमे हिमपातक संभावना रहल प्रवक्ता पोखरेल जानकारी देलनि । ––– रासस मैथिली

काठमाण्डू, १३ कात्तिकः ‘मोन्था’ चक्रवातक कारण शनिदिन भोरधरि देशक अधिकांश भागमे वर्षा होबाक संभावना रहल जल तथा मौ...

Address

Rajbiraj

Telephone

+9779807033870

Website

https://play.google.com/store/apps/details?id=com.musicmaithili

Alerts

Be the first to know and let us send you an email when I Love Mithila posts news and promotions. Your email address will not be used for any other purpose, and you can unsubscribe at any time.

Contact The Business

Send a message to I Love Mithila:

  • Want your business to be the top-listed Media Company?

Share